मंगलवार, 24 नवंबर 2015

मैथिली फिल्म "राखी के लाज" के शूटिंग सम्पन्न

फिल्म सेट पर अभिनय करैत कलाकार
मिथिला धरोहर - प्रभाकर मिश्र : समस्तीपुर के आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस बैनरक अधीन बनी रहल मैथिली फिल्म "राखी के लाज" के शूटिंग सफलता पूर्वक सम्पन्न क लेल गेल अछि। एहि सिनेमाक शूटिंग 27 अक्टूबर 2015 सं शुरू कायल गेल छल। स्थानीय कलाकारक अभिनय सं सजल एहि फिल्म के अगिला साल जनवरी (2016) मे प्रदर्शित कयल जेवाक बात कहल गेल अछि। नारी सशक्तिकरण पर आधारित एहि फिल्म के निर्देशित क रहल छथि समस्तीपुर जिला'क शिवाजीनगर प्रखण्ड के दसौथ गामक निवासी नरेश मण्डल जे फिल्म निर्देशन क्षेत्र मे बहुते अनुभव राखय छथि। 


एहि फिल्मक कहानी लिखने छन्हि आशुतोष सागर आ हिनके लिखल गीत के संगीत सं सजऔने छथि प्रमोद, रोहित, मनीश, छायांकन पवन मिश्रा के छन्हि। सह-निर्देशक खुशी यादव, आ कार्यकारी निर्माता छथि राम रसिला आ प्रोडक्शन के हैड छथि प्रभात रॉय। फिल्म मे मुख्य कलाकारक रूम मे अभिनय क रहल छथि राम रसीला, आशुतोश सागर, कंचन सिंह , मंजू दुबय आदि। समाज मे नारी पर भ रहल अत्याचार'क खिलाफ नारी सशक्तिकरण के किरदार के कर्णप्रिय गीत-संगीतक संग एहि फिल्मक माध्यम सं मैथिली भाषा मे लोगक बीच पहुचेबाक प्रयास कयल गेल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !