मंगलवार, 22 मार्च 2016

पिरुकिया पकवान विधि मैथिली मे l Pirukiya Recipe in Maithili

आवश्यक सामग्री - 
मैदा - 2 कप (250 ग्राम), घी - 1/4 कप (60 ग्राम), दही या दूध - 1/4 कप स्टफिंग के लेल, सूजी - 3/4 कप (150 ग्राम), पिसल (पाउडर) चीनी - 3/4 कप, ड्राय फ्रूट्स - 1 कप (काजू, अखरोट, बादाम, किशमिश), छोटका इलायची - 7-8 टा, घी/तेल - पिरुकिया तरवाक लेल और सूजी भूजवा के लेल। 

विधि :-
मैदा के कुनो बर्तन मे निकैल लिअ, घी और दही आटा मे दऽ के, निक जंका मिला लिअ। आब कनि-कनि पैन दैत पूरी के आटा सँ थोड़बे सख्त आटा सैन लिअ। आटा के अधहा घंटा लेल झैंप के राइख दिऔ।

दोसर दिस, सबटा ड्राय फ्रूट्स छोट छोट काइट के तैयार कऽ लिअ और इलायची के छील कऽ पाउडर बना लिअ।

लोहिया (कढा़ई) मे 2 चम्मच घी दऽ गरम कऽ लिअ। घी मे सूजी दऽ के लगातार लारैत हल्का गोल्डन ब्राउन हेबाक धरि भुजु। सूजी के भूजवा पर एहिमे काटल गेल ड्राय फ्रूट्स दऽ और 1-2 मिनट मिलाबैत भुइज लिअ। आंच बंद कऽ दियौ आ सूजी के कनि देर धरि चलाबैत रहु। सूजी के कुनो बर्तन मे निकैल लिअ और कनि ठंडा होमय दियौ।

आटा के मसैल-मसैल के मुलायम कऽ लिअ आ आटा सँ छोटका छोटका 25 टा लोईया तोइड़ कऽ बना लिअ, लोइया के झैँप के रैख लिअ।

इहो पढ़ब :-



सूजी के हल्का ठंडा भेला पर ओहिमे पिसल (पाउडर) चीनी और इलायची के पाउडर दऽ कऽ मिला लिअ, पिरुकिया मे भरबाक लेल मसल्ला (मिश्रण) तैयार अछि।
एकटा लोईया निकैल लिय 3-4 इंचक व्यास मे पूरी बेल लि'अ, बेलल गेल पूरी थाड़ी मे राखैत जाउ। लगभग 10 टा पूरि बेल के तैयार कऽ लि'अ, आब एकरा भैर कऽ पिरुकिया तैयार कऽ लि'अ। पूरी कऽ सांचा या तऽ हाथ सँ मोइढ़ कऽ तैयार कऽ लि'अ। एक-एक कऽ सबटा पूरि के पिरुकिया एही तरहे बना कऽ सुप या चँगेरा मे झैंप के रैख लिअ। 

पिरुकिया छनबाक लेल:- 
लोहिया (कड़ाही) मे घी या तेल अपन इच्छा अनुसार द के गरम क लिअ, मध्यम गरम घी मे पिरुकिया द दियो, और धीम और मध्यम आंच पर हल्का ब्राउन होय धरि पलैट-पलैट क सब टा पिरुकिया क बेरा-बेरी छानैत लिअ। पिरुकिया तैयार अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !